Pages

Monday, 12 December 2011

Maithili Shayari - हमरा सँ कियो....

 

हमरा सँ कियो स्नेह नै करैत छैथ,
हमर कियो बाट नै ताकैत छैथ,
जितू फूलक संग लागल ओ काँट छी,
जिनका पर कियो एतबार नै करैत छैथ!



 हमर कहानी हमर खिस्सा छी अहाँ,
हमर साँस हमर दुनियाँ छी अहाँ,
अहाँ कें कोना हम बिसैर जाऊ,
हमर हरेक साँसक हिस्सा छी अहाँ

 खोजब अहाँ तें कियो मिल जेता,
मुदा हमरा जोका अहाँकें के सतेता,
मनलों कमी नै अछि अहाँकें संगतुरियाक,
मुदा "संगीत" कें जगह कियो कोना एस लेता!

 

प्रित अहाँक पहचान छी हमर,
स्नेह अहाँक शान छी हमर,
जुदा भs कें अहाँ सँ कोना हम जियब,
अहाँतें अंतिम साँस तक प्राण छी हमर!

 

 

No comments:

Post a Comment